प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 16 जून 2018

कहि दे कन्हाइ(बाल कविता)

5.03 कहि दे कन्हाइ

बिना लजेने सब किछ कहि दे
कहि दे की सब भेलौ कन्हाइ
जलखैमे की खेलें आइ ?

आलूचॉप कचड़ी आ मुरही
आर समौसा कते पलेट
पानीपूरी चाट कचौड़ी
खट्टा पानिसँ भरलें पेट
सी सी क' बाजें कखन धरि
नोर बहेलें खा मिरचाइ
बेरहटमे की खेलें आइ ?

गरम जिलेबी लड्डू पेड़ा
कते किलो आ कते ग्राम
रबड़ी लस्सी आ ललमोहन
रसगुल्ला केर कह ने नाम
घेवर बर्फी कलाकंद कह
रसमलाइ सन कते मिठाइ
कलौ बेर की खेलें आइ ?

पिज्जा बर्गर पास्ता खेलें
आकि खेलें पकौड़ा ब्रेड
चिकेन चाउमिन अंडा खेलें
पावभाजी द' चटनी रेड
कस्समकस्स रौ पेट लागै छौ
भेल लागै छै खूब ठुसाइ
जलखैमे की खेलें आइ ?





कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें