प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 3 जून 2018

अपरिमय संख्याँ

अपरिमय संख्याँ

जहिया हम वियाहि क' आएल छलहुँ
एकटा एहन घरक पुतौह भेलहुँ
जत' छलै संस्कारक संख्या रेखा
जकर एकहकटा बिन्दुपर
छलै एकहकटा शर्त
एकटा नियम
ओहि नियमसँ बन्हाइत गेलौं
मोने मोन औनाइत गेलौं

भगवान साक्षी छथि
ओहि रेखाक सभटा बिन्दु
हमर जीवन संग संरेख रहलै
कहियो कोनो नियम नै टुटलै

आइ फेर व्याहि क' आनलौं
अपन आशाक पुतौह
आशाक पेंसिलसँ फेर बनेलौं
एकटा झकझकाइत संख्याँ रेखा
जाहिपर बनेलौं फेर बिन्दु
शर्त आ ओहने नियम

मुदा ई की ?
एकरा एहि रेखापर आनब असंभव अछि
ई एकटा अपरिमेय संख्या अछि
जे नै अटि सकैए
कोनो बिन्दुपर ।

अमित मिश्र

*आगू कलम लिखैत रहत आ मोबाइलक की बोर्ड टाइप करैत रहत जँ अहाँक टिप्पणी भेंटत आ हमरा ऐना देखाएत ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें