प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

गुरुवार, 27 जून 2013

उत्तर दिअ

बाल कविता-79
* उत्तर दिअ *

धरती किए गोल गोल छै, चक्का किए गोल ?
लाला जीक धोधि किए मोटू गोल-मटोल ?
प्रश्न ई सूनि लिअ, यौ सरजी उत्तर दिअ

मनुखकेँ दू-दू टा हाथ, गायक हाथ बिलाएल ?
साँढ़केँ चारि-चारि टा टाँग, साँपक टाँग हेराएल ?
मोटगर पोथी लिअ, यौ सरजी उत्तर दिअ

चान सब दिन घटैत-बढ़ैत, सूरज एक समान
ग्रह-उपग्रह नाचै किए, भेलै नै कनियो पुरान ?
कोना चानक कुर्ता सीयऽ, यौ सरजी उत्तर दिअ

जंगलक राजा शेरे किए, फऽरक किए आम
फूलक राजा गुलाबे किए, बाँकी छै और नाम
सब रस भौंरे पीयऽ, यौ सरजी उत्तर दिअ

इस्कूल किए आबऽ पड़ै, किए नै घरे पढ़ाइ ?
छुट्टीपर छै धियान लागल, मोन किए अगुताइ ?
आइ सब प्रश्न लिअ, काल्हि अहाँ उत्तर दिअ

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें