प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 28 अप्रैल 2015

गीत-अपन मिथिलापर हमरा गुमान सखिया


अपन मिथिला पर हमरा गुमान सखिया
जतय पाहुन बनि एला भगवान सखिया

तुलसीचौरा सजल घर आँगन
माछ मखान भेटत भरि वासन
बहय कोशी आ कमला वलान सखिया
जतय पाहुन.... ......

बड़का छोटका ने अगड़ा ने पिछड़ा
हिलमिल रहय, ने ककरोसँ झगड़ा
संगे साँझ परातीकेँ गान सखिया
जतय पाहुन..........

धोती दोपटा आ पाग नीक लागय
लैते जनम ऐ ठाँ भाग बड जागय
अमित करैए एकर गुणगान सखिया
जतय पाहुन........

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें