प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 30 मई 2015

चरिपतिया-79-85


♡♡♡79♡♡♡
चलू कलमक कोदारि बना कऽ
तामि देबै परती उस्सर
शब्दक बीया रोपि कागतपर
उगा देबै भाव सुनर


♡♡♡80♡♡♡
दिन, राति, आठो पहर
मस्ती रहत भरपूर
माएक हाथसँ रान्हल भानस
खाएब जँ हजूर


♡♡♡81♡♡♡
जेठक रौद छै बनल कसैया
तैपर प्रियाक निमंत्रण
दूर देशमे बैसल पिया, कोना
करथिन नेहक तर्पण

♡♡♡82♡♡♡
लोक-वेद सब बदलि गेल अछि
प्रकृति केर संग
गाछ-विरिछक परिधान आब नै
लोको नंग-धरंग

♡♡♡83♡♡♡
कोट-कचहरीक चक्करमे
जहिया अहाँ फँसब
एके संगे टाका-इज्जत
गमा गमा कऽ मरब

♡♡♡84♡♡♡
वियाहक मिठगर फेरमे
जुनि पड़ब मीत
डेग डेगपर धोखा भेंटत
लागत केवल तीत

♡♡♡85♡♡♡
ऊँच खानदानक फेरमे
जुनि पड़ब यौ मीत
पेर देत कुसियार जकाँ
कानि कानि गेबै गीत


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें