प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 9 अक्तूबर 2015

भगवती गीत- मंदिरबा भरल लागौ

हे गे चमचम लाले चुनरी करौ
खन खन मैया गे चूड़ी करौ
मैया तोहर रूप बड सजल लगौ
गै सजल लागौ
मंदिरबा भरल लागौ
तोहर मंदिरबा भरल लागौ

फूल अरहूल के माला माँ शोभल छौ
कजरा आ बिन्दी माँ सजल छौ
मैया पैर तोहर नव कमल लागौ
हे गे कमल लागौ
मंदिरबा भरल ......

लाल सेनूर लाले लाल मंदीर छौ
लहठी लाले लाल सब तीर छौ
तोहर त्रिसूलसँ राक्षस सब घायल लागौ
गे घायल लागौ
मंदिरबा भरल.........

मैया दशमी मे दर्शन देखाबें कने
अमीत के कोरा उठाबें कने
आइ भगता तोरा सब दुखरा कहौ
गे दुखरा कहौ
मंदीरबा भरल लागौ......

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें