प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 9 अक्तूबर 2015

गीत- नैना मिला कऽ

नैना मिला कऽ, धड़कन बढ़ा कऽ, पागल बना कऽ, कतऽ जाइ छें गे
कंगना बजा कऽ, मनवाँ झुमा कऽ, पायल बजा कऽ, कतऽ जाइ छें गे

रूप करै छौ गोरी सबपर जादू, कऽ दै छें सबके गोरी पलमे बेकाबू
आँचर खसा कऽ, ओढ़नी उड़ा कऽ, कनखी चला कऽ, कतऽ जाइ छें गे

देखि देखि मनमे हमर उठय तुफान, भऽ गेल्हीं तूँ त गोरी पूरा जुआन
डाँर हिला कऽ, कने बल खा कऽ, आगि लगा कऽ, कतऽ जाइ छें गे

पूनम के राति सन छौ तोहर जवानी, चान चकोर जेकाँ अपन कहानी
कने मुस्का कऽ, बिजुरी खसा कऽ, होश उड़ा कऽ, कतऽ जाइ छें गे

काँच कली छें गोरी रससँ भरल, भँवरा अमित तोहर प्रेमक प्यासल
दिलके चोरा कऽ, पागल बना कऽ, मनके लोभा कऽ, कतऽ जाइ छं गे

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें