प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 9 अक्तूबर 2015

वर्णमाला: व

बाल कविता- 214
वर्णणाला- व
'व'सँ वन, सुन्दर सन
जाहिमे दौड़य चारि हिरण

जकर राजा शेर भेलैए
हाथी घोड़ा भेड़ एलैए
बानर कूदय पात-पातपर
शेरक बेटा फेर भेलैए
भेलै हर्षित प्रजा अपन
'व'सँ वन सुन्दर सन

आम लताम खूब फरैए
बरहर जाम खूब पकैए
बैसल चिड़ैं गाछ-गाछपर
सुन्दर सुन्दर गीत गबैए
नाचय जंगल खूब तखन
'व'सँ वन सुन्दर सन

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें