प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 25 दिसंबर 2015

लप्रेक- 2

#मैथिली_लप्रेक-2

-गै जूली, आइ तऽ ओ गाम एबे ने करतै गै ?
-के गै ?
-वएह, जे पुरना गाछीमे हमरा लेल किदन-कहाँदन सप्पत खेने छलै ।
-आइ तऽ आबैये पड़तै ने गै...एँ गै पारो आइ ओकर बापक श्राद्ध छै आ तोरा प्रेम देखाइ छौ ?आँखिमे नोर धरि नै छौ ।
-गै सखि, जे नश्वर छै से तऽ मरबे ने करतै, मुदा एक्को बेर ओकर नजरि हमरापर पडि जेतै तऽ हमर प्रेमकेँ अमरत्व भेंटिये जेतै ने गै ।ऐमे नोर बहेबाक कोन काज !

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें