प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 24 मई 2016

आशीर्वाद

बाल कविता-142
आशीर्वाद

हरियर बाँसक पात जकाँ
चाकर केरा पात जकाँ
नम्हर बनिहअ बाँस जकाँ
चलिते रहिहअ साँस जकाँ
बजिहअ सूगा बोल जकाँ
कड़गर घोंघा खोल जकाँ
रखिहअ दिल टोल जकाँ
बनिहअ हिराक मोल जकाँ
बनिहअ सूरज-चान जकाँ
रांगिहअ गुणसँ पान जकाँ
निश्छल कोइली तान जकाँ
करबअ हमहूँ गुमान जकाँ

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें