प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

गुरुवार, 19 मई 2016

एग्जाम

लप्रेक-18

- गै आइ मोन कोनादन क' रहल छौ ।करेज धकधकाइ छौ ।
- हाय रे दैवा, किछ भ' त' तँ नै ने गेलौ तोरा ?डाकडर लग चल ने ।
- नै नै, ऐमे डाकडर किछु नै क' पेतै ।ई सब रिएल्ट फोविया छै ।आइ मैट्रिक क रिजल्ट एतै ने तें डरे ठोर सुखाइ छै ।
- हँ रै, ई डर त' हमरो लागल छै ।एतै टाइट परीक्षामे की हेतै, से नै जानि !...खैर छोड़, एगो आइडिया छै ।
- की ?
- जँ तूँ पास हेबें त' हम तोरासँ वियाह क' लेबौ आ जँ हम पास करबौ त' तूँ हमरासँ वियाह क' लिहें ।आखिर घरमे कियो त' शिक्षित होइक चाही !
- आ जँ दुनू फेल क' जेबै त' ?
- मार बाढ़ैन सर्वा रिजल्टकेँ ...प्रेममे हमहीं दुनू एग्जामिनी आ हमहीं दुनू एग्जामनर छीयै ।ककर मजाल छै जे पास करैसँ रोकि लेतै ?

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें