प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 23 जून 2013

कोना टूटत जामुन ?

बाल कविता-76
कोना टूटतै जामुन ?

कारी तोहर रूप छौ जमुनी तैयौ लागें बहुते मीठ
ई चिड़ैयाँ नै जामुन खसबै सतमे ई छै बहुते ढीठ
कतबो ढेला फेकै छी तैयौ ठीक ठाढ़ि धरि पहुँचै नै
कोनो ठाढ़िपर जा कऽ लटकल, घूरि कऽ ढेला आबै नै
लग्गी लटकल, ठेंगा लटकल, लटकल बहुते चप्पल
मोन हकमल, घामे-पसीने, तैयो जामुन नै भेटल
कोना टूटतै गाछसँ जामुन ? भारी सवाल बनल अछि
तखने एकटा छौड़ा बाजल, ई तँ बहुत सरल अछि
आश लगेने बैसै जाइ जो, बिछा कऽ चट्टी बोरा
जखने सिहकत अदृश्य हवा, तँ खसतै झोराक झोरा

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें