प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 17 जुलाई 2013

लऽ जेथिन बजार

बाल कविता-87
लऽ जेथिन बजार

भरि भरि दौरी
पापड़ तिलौरी
तिलौरीमे नोन
खेतपर जोन
जोन संग बाबू
धान रोपि आबू
धानक नव चूरा
भरल छै बोरा
नोन मिरचाइ
भूजा भुजाइ
बाबू जी एथिन
संग भूजा खेथिन
करथिन दुलार
लऽ जेथिन बजार

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें