प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 22 जनवरी 2020

जीवन सुखद बनाउ

5.58 जीवन सुखद बनाउ

नै बेसी घबराउ अहाँ
नै बेसी डेराउ अहाँ
बाधा-विध्न वा कठिन समयमे
आगू बढ़िते जाउ अहाँ

ताकू पाछू घुरि ने अहाँ
काज निमाहू सुरिमे अहाँ
साधि निशाना चलू लक्ष्यपर
नै बेसी भरमाउ अहाँ

चिन्हू असली मीत अहाँ
बाँटू सगरो प्रीत अहाँ
गलत बाटपर चलि रहलै जे
तकरासँ बचि जाउ अहाँ

हँसैत-खेलैत रहू अहाँ
चंचल बनि क'  चलू अहाँ
आलस मोनक सभ मेटा क'
जीवन सुखद बनाउ अहाँ

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें