बाल कविता-30
उकपाती हाथी
एकटा हाथी बड उकपाती
ढाही मारि उखारै गाछी
बात-बातपर झगड़ा करै
पटकि-पटकि कऽ हड्डी तोड़ै
बिनु बातक दै घर उजारि
छीनै भोजन पढ़ै बड गारि
एक दिन जाइ छल झूमैत-गाबैत
देखलक पाकल केरा चमकैत
कूदकि-कूदकि कऽ झटपट दौड़ल
केरासँ पहिने खाधिमे खसल
हहरि-हहरि कऽ कानल बाउ
चिकरलक, आउ, किओ आबि बचाउ
देखि कऽ खुश भेल जंगलक परिवार
भने बनि गेल शिकारीक शिकार
बात बूझि हाथी खसल धराम
लालच, दुश्मनीक ई परिणाम
जँ सबसँ दोस्ती कऽ रहितौं
आइ नै एहन खाधिमे खसितौं
अमित मिश्र
उकपाती हाथी
एकटा हाथी बड उकपाती
ढाही मारि उखारै गाछी
बात-बातपर झगड़ा करै
पटकि-पटकि कऽ हड्डी तोड़ै
बिनु बातक दै घर उजारि
छीनै भोजन पढ़ै बड गारि
एक दिन जाइ छल झूमैत-गाबैत
देखलक पाकल केरा चमकैत
कूदकि-कूदकि कऽ झटपट दौड़ल
केरासँ पहिने खाधिमे खसल
हहरि-हहरि कऽ कानल बाउ
चिकरलक, आउ, किओ आबि बचाउ
देखि कऽ खुश भेल जंगलक परिवार
भने बनि गेल शिकारीक शिकार
बात बूझि हाथी खसल धराम
लालच, दुश्मनीक ई परिणाम
जँ सबसँ दोस्ती कऽ रहितौं
आइ नै एहन खाधिमे खसितौं
अमित मिश्र
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें