गीत
एतौ तोरो कोजागरा रौ
बाँटिहेँ पान मखान रौ
सासुरसँ एतौ तोरो भरि भरि चगेँरा चूरा
लड्डू एतौ पेड़ा एतौ एतौ दही केरा
दऽ हकार बजाबिहेँ सगरो गाम रौ
बाटिहेँ . . . .
राति पुर्णिमा खह खह इजोरिया चक मक चमकै चान रौ
भरि ठेला भरिया भार लऽ कऽ एतौ तोर गाम रौ
लऽ कऽ सार सनेस एतौ बतासा मखान रौ
बाँटिहेँ . . .
गीत नाद बीच गमछा लऽ कऽ एथुन नूनू काका
खाजा और मिठाइ लऽ कऽ करबै हुनकर पूजा
सऽख सेहन्ता "अमित" पुरतौ मार मंद मुस्कान रौ
बाँटिहेँ . . . . . .
ई गीत 2010 मे लिखने छलौँ ।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें